पटना (बिहार) बिकाश झा : बिहार जी हां, गंगाक उत्तरी आ दक्षिणी तट मे विभक्त एक टा एहन प्रदेश जाहिठाम उत्तरी भाग मे मिथिला क्षेत्र अछि जे अपना आप मे एक सं बढ़ींक एक गौरवशाली आ ज्ञानक धनिक व्यक्ति कें जन्म देलक अछि त दोसर दिस दक्षिणी भाग मे सेहो एक सं बढिक एक ज्ञानी आ विद्वान लोकनि जन्म ल प्रदेशक गरीमा कें बढ़ौने छथि आ कालांतर मे सेहो बढ़ा रहल छैथ।
राजनीतिक आ सांस्कृतिक दुनू दृष्टि सं बिहार देश मे अपन उपस्थिति सदिखन दर्ज करवैत रहल अछि। बिनु बिहारक राजनीतिक हस्तक्षेप सं आई धरि केंद्र तक मे कोनो सरकार नहि बनल मुदा वर्तमान मे पाटलिपुत्रक कुर्सी पर बैसल बिहार मुख्यमंत्री या त आवश्यकता सं बेसी अवोध छैथ अथवा व्यक्तित्वक रूप सं थेथर्र। हालांकि, कोनो प्रदेशक मुख्यमंत्री कें एहन तरहक शब्द सं सुशोभित केनाई कोनो प्रेसक लेल उचित नहि मुदा पैछला किछु मासक दरम्यान जाहि तरहक बयानवाजी मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी क रहला अछि ओहिक बाद अहि तरहक प्रश्न उठनाई स्वभाविक अछि कि बिहारक मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी या त बहुत बेसी अवोध अछि जिनका हृदय मेकोनो तरहक छल-प्रपंच नहि छन्हि त दोसर दिस ओ जरूरत सं बेसी चतुर छैथ आ अपन थेथरैय सं मीडिया, देशक राजनीतज्ञ सं लय सबहक ध्यान अपना दिस आकृष्ट करय चाहैत छैथ।
मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीक जे वर्तमान बयान आयल अछि ओहिक बाद मुख्यमंत्री कें जौं उडंड कहल जाय त अहि मे कोनो अतिश्यिोक्ति नहि।
मुख्यमंत्री बेतियाक वाल्मिकी नगर मे एकटा सभा कें संबोधित करैत कहलनि जे हमरा सब अहि ठामक मूल निवासी छी आ राज्यक जे सवर्ण जाति अछि ओ सब विदेशी आ आर्यक संतान अछि। एतबे नहि मुख्यमंत्रीक उडंडता सब सीमा कें तोडै़त एतेक तक कहि देलनि जे सवर्ण आ अगड़ी जातिक लोक काज करय बाहर चलि जाइत छल आ ओहि घरक बहु-बेटी साल भरि असगर मे कि करै छल? आब जाहि राज्यक मुख्यमंत्रीक बोल समाजक पैघ तवकाक लेल आ खास क महिलाक प्रति एहन हो त ओहि राज्यक स्थितिक बारे मे सहज रूप सं पता लगाओल जा सकैत अछि। मुख्यमंत्री मांझीक बड़बोल केकरो सं छुपल नहि छल मुदा अहि बेरक जे बयान मुख्यमंत्री देलनि अछि ओकरा जतेक निंदा कैल जाय ओ कम छैक। मुख्यमंत्रीक बयानक बाद जखन अहि विषय पर मीडिया मुख्यमंत्री मांझी सं जवाब मंगलक त एक बेर फेर सं मुख्यमंत्री अपन थेथरैय देखवैत कहलनि जे हम किछु गलत नहि कहलौ आ के कतय के अछि ओहि बातक प्रमाण इतिहास मे छैक आ जौं अपने लोकनि के जानकारी चाहि त अपने सब इतिहासकार सं संपर्क क सकैत छी।
मुख्यमंत्रीक टटका बयान पर नहि सिर्फ विपक्षी दल अपितु पार्टी भीतर सेहो घमासान मचि गेल अछि। पार्टीक विधायक आ बाहुबली नेता अनंत सिंह साफ शब्द मे कहलनि जे मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी पागल भ गेल अछि आ ओकरा पागलखाना मे भेज देवाक चाहि।
अनंत सिंह कहलनि जे हमरा सब सं बहुत पैघ गलती भ गेल जे एहन पागल कें हम सब मुख्यमंत्री बनेलौह। बाहुबली नेता कहलनि जे नीतीश कुमार कें अहि मामला पर संज्ञान लैत हुनका स्वयं मुख्यमंत्रीक कुर्सी पर बैस जेवाक चाहि। ओम्हर जेडीयू नेता आ योजना पार्षदक सदस्य संजय झा सेहो अहि विषय पर आलोचना करैत मुख्यमंत्री मांझीक बयान कें दुर्भाग्यपूर्ण करार देलनि।
लगातार एक कें बाद एक देल जा रहल आपत्तिजनक बयानक बाद जेडीयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव अहि विषय पर बजैत कहलनि जे मुख्यमंत्री मांझी कें बयान देवह सं पहिने अवश्य ओहि विषय पर विचार करवाक चाहियैन जे आखिर ओ कि बाजि रहलैथ अछि। बिहारक मुख्य विपक्षी पार्टी बीजेपीक नेता सुशील मोदी कहलनि जे मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी द्वारा देल जा रहल बयान सं जातीय उन्माद पसैर सकैत अछि आ एहन बयान संसांप्रदायिक सौहार्द कें सेहो खतरा अछि।
ओम्हर बीजेपीक राष्ट्रीय प्रवक्ता सैयद शाहनवाज हुसैन कहलनि जे मुख्यमंत्री जीतन राम मांझीक बयानक निंदा करैत कहलनि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक खोज छैथ आ ओहि सजा बिहारक जनता कें उठाबय पडि़ रहल छैक आ आगामी चुनाव मे बिहारक जनता मुख्यमंत्रीक हर बयानक निक जेका जवाब देत। अहि ठाम एक बात उठब स्वभाविक अछि कि सुशासन बाबूक खोज जीतन राम मांझीक लगाम केकरा लग? या त नीतीश कुमार अपन ढहलेल खोज कें कोनो अजायबधर मे बंद करौथ नहि त लोक सभा चुनावक स्थिति विधान सभा मे सेहो देखवा मे औतनि।


आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here



Previous Post Next Post