बेनीपट्टी (मधुबनी) शेखर झा संवाददाता : बेनीपट्टी बाज़ार में अतिक्रमण हटेबाक लेल रविवार क देर रात धरि अतिक्रमित जगह सब पर बुलडोजर स अतिक्रमण हटेबाक कार्य जारी रहल । जनता के विरोध के वाबजूद प्रशासन अपन सख्त रुख अख्तियार केलक ताहि स बेनीपट्टी बाज़ार के डॉ अम्बेडकर चौक स संसारी पोखर चौक तक स्टेट हाईवे 52 के दुनु बगल बुलडोजर चलल । बाज़ार के सड़क किनारे यत्र तत्र अतिक्रमण आ गंदगी के जमावड़ा के कारण बितल दिन हाट त्यौहार में जाम स जनता के जुझा पडैत छला ताहि के मधेनजर एसडीएम राजेश मीणा, डीएसपी राजेश सिंह प्रभाकर, डीसीएलआर अमरेन्द्र कुमार पंकज, पुलिस निरीक्षक बिनोद कुमार, थानाध्यक्ष प्रवीण कुमार मिश्रा के नेतृत्व में अतिक्रमण हटेबाक इ सराहनीय काम पूरा भेल । अम्बेडकर चौक, बेहटा बाज़ार, इंदिरा चौक, रजिस्ट्री ऑफिस, उप डाकघर, थाना चौक, डॉ लोहिया चौक के इर्द गिर्द फैलल अतिक्रमण के हटाओल गेल । अंततः प्रसाशन के इ कारवाई के लेल सराहना कायल जा रहल अईछ । अतिक्रमण मुक्त भेला स बेनीपट्टी बाज़ार आ सड़क के रंग रूप बदलल नज़र आबि रहल अईछ ।