पटना (बिहार) बिकाश झा : हारक सियासी उठापटक के बीच पटना हाईकोर्ट बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ जदयू के वरिष्ठ नेता नितीश कुमार के जदयू बिधायक दलक नेता चुनेबाक लेल फटकार लगोलक इ कारवाई मुख्यमंत्री मांझी के पक्ष में समर्थन देबय वला बिधायक सब के मामला में अपन पक्ष सुनोलक ।
अपनेही पार्टी में मुख्यमंत्री पदक लेल हाईकोर्ट के फटकार सुन रहल नितीश कुमार अपन समर्थन में 130 बिधायक संग राष्ट्रपति के समक्ष परेड करेबाक लेल दिल्ली प्रस्थान केलैथ । अहि सब के बीच मुख्यमंत्री मांझी सरकारी नौकरी में सवर्ण आरक्षण के घोषणा केलैथ ।
पूर्व मुख्यमंत्री नितीश कुमार केर दलित प्रेम जाही के रस्ते राजनितिक शिखर तक पहुचल छलाह, ओ दलित प्रेम जीतन राम मांझी केर मुख्यमंत्री बनोला के बाद और बढ़ गेल छल मुदा सत्ता के इ घिनौना राजनीति कारणे कतौ ने कतौ ओ जनाधार खिसकैत दिखाई द रहल अईछ । जे नितीश कुमार दलित के महादलित के अधिकार देने छलाह ओहा नितीश कुमार आय अपने द्वारा बनाओल गेल मुख्यमंत्री मांझी के मुख्यमंत्री पद स हटेबाक लेल अपन बिधायक संग पटना स दिल्ली के चक्कर लगा रहल छैथ ।
राजनीति अनिश्चितता केर खेल अईछ जे की साबित भ रहल अईछ, जे नितीश कुमार बीजेपी के रथ पर सवार भ कहियो प्रधानमंत्री पदक सपना देखय छलाह ओ आय अपनेही पार्टी में बहुमत रहितो मुख्यमंत्री पदक लेल हाईकोर्ट आ राष्ट्रपति के शरण में छैथ ।