बिकाश झा (दिल्ली चुनाव) : दिल्ली मे भेल विधानसभाक चुनाव मे झाड़ू एक फेर जइम क चलल। झाडू बारहैन (आम आदमी पार्टी) सं प्रायः देशक सबसं पैइघ पार्टी कांग्रेस आ बीजेपी केर जे स्थिति भेल ओ अपने लोकनिक सामने अइछ । एहि चुनाव परिणाम मे जतय कांग्रेस शुन्ना पर आउट भ गेल तअ बीजेपी केर स्कोर 3 पर आबैत-आबैत ऑल आउट भ गेल। ओना इ चुनाव मे एकबेर फेर मिथिलावासीक लेल खुशखबरी ल क आयल मुदा बेनीपट्टी प्रखंडक बरहा गामक अनिल झा "वत्स" जे की किरारी बिधान सभा स बीजेपी के प्रतिनिधित्व करैत आबि रहल छला ओ अहि बेर आप के लहर में अपन सीट नय बचा सकला । जाहि में किराड़ी विधान सभा सं ‘आप‘क उम्मीदवार मैथिल पुत्र ऋतुराज गोविन्द झा अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र अनिल झा वत्स केर लगभग 44953 मत सं पराजित कय पहिलबेर चुनाव लड़ैत विजय प्राप्त केलनि। एहि चुनाव मे ऋतुराज गोविन्द झा कें लगभग 97727 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक निकटतम प्रतिद्वंदी बीजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र अनिल झा केर लगभग 52555 मत भेटलनि। अहि क्षेत्र के अनिल झा वत्स केर हार चर्चा के बिषय बनल रहल जे की पिछला बिधानसभा चुनाव में सबसे ज्यादा मत अंतर स जितबाक रिकॉर्ड कायम केने रहैथ । बुराड़ी सं ‘आप’क उम्मीदवार मैथिल पुत्र संजीव झा एकबेर पुनः अपन निकटतम प्रतिद्वंदी अपनहि जेष्ठ भ्राता समान बीजेपीक उम्मीदवार मैथिल पुत्र गोपाल झा केर लगभग 67950 मत सं पराजित कय विजय प्राप्त कएलनि। जाहिमें संजीव केर लगभग 124724 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक सबसं निकटतम प्रतिद्वंदी गोपाल झा केर लगभग 56774 मत भेटलनि। तहिना जनकपुरी विधानसभा सं ‘आप’क उम्मीदवार मैथिल पुत्र राजेश ऋषि अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक कद्दावर उम्मीदवार प्रो. जगदीश मुखी जे की बीजेपी के मुख्यमंत्री पदक प्रमुख उम्मीदवार छलैथ हुनका लगभग 25580 मत सं पराजित कय राजेश ऋषि पहिलबेर चुनाव लड़ैत विजय प्राप्त केलनि। एहि चुनाव मे राजेश ऋषि कें लगभग 71802 मत भेटलनि तअ दोसर दिस हुनक निकटतम प्रतिद्वंदी बीेजेपीक उम्मीदवार प्रो. जगदीश मुखी कें लगभग 46222 मत भेटलनि।
ओनहिते शालीमार बाग सं ‘आम आदमी पार्टीक’ उम्मीदवार वंदना कुमारी अपन निकटतम प्रतिद्वंदी बीजेपीक उम्मीदवार रेखा गुप्ता कें लगभग 10988 वोट सं पराचित कय दुबारा दिल्लीक विधान सभा मे अपन जीत दर्ज करबेलनि। जाहि में वंदनाक लगभग 62656 मत आ निकटतम प्रतिद्वंदी रेखा गुप्ता केर 51678 मत प्राप्त भेटलनि। वंदना बहुत दिन सं गरीब आ असहाय महिलाक लेल लड़ैत आबि रहल छथि जाहिमें घरेलु हिंसा सं लय आन आन तरहक समस्या शामिल अय। वंदना एकटा सामाजिक संगठन सेहो चला रहलि अछि जेकर नाम छैक ‘नई पहल’ इ संस्था महिलाक अधिकार आ सशिक्तिकरणक उपर कार्य कअ रहलि अछि। मिथिला मिरर मैथिलक बेटीक हार्दिक बधाई आ कोटि सह शुभकामना दय रहल अछि। तहिना मिथिलाक सपूत लोकनि सेहो दिल्ली विधानसभा पहुंचबा मे सफल भेलाह। BNN टीम एकबेर पुनः सभगोटे कें हार्दिक बधाई आ सुखद भविष्यक शुभकामना दय रहलनि अछि।