बेनीपट्टी (मधुबनी) आदित्य ठाकुर : बेनीपट्टी स्थित उपडाकघर के निकट स्वतंत्रता सेनानी पूर्व सांसद कामरेड स्व. भोगेन्द्र झा द्वारा सांसद ऐच्छिक कोष स निर्माण कराओल गेल शहीद पुस्तकालय वर्तमान में उपेक्षित अईछ । ताहि के मधेनजर पुस्तकालय जीर्णोधार के लेल सोम दिन एसडीएम राजेश मीणा के अध्यक्षता में सब राजनीतिक दलक जनप्रतिनिधि, बुद्धिजीवी,सामाजिक संगठन के कार्यकर्त्ता आ व्यापारी सब के बीच शहीद पुस्तकालय के भवन जीर्णोधार, बाज़ार के साफ़ सफाई, गैस एजेंसी के स्थापना, आ बस भाड़ा निर्धारण के लेल बैठक कायल गेल । बैठक में मुख्य मुद्दा बाज़ार के साफ़ सफाई आ शहीद पुस्तकालय रहल । बैठक में बिभिन्न मुद्दा पर बहस भेल जाही में जन सहयोग स शहीद भवन के जीर्णोधार आ 20 जनवरी क शहीद पुस्तकालय परिसर में स्व. भोगेन्द्र झा केर पुण्य तिथि मनेबाक निर्णय लेल गेल जे की स्वागत योग्य अइछ।
आबय बला समय में देखय बला बात इ रहत जे की बैठक में चर्चा कायल गेल मुद्दा बैठके धरी रहत या इ मुद्दा सब पर अमल कायल जायत ।
अपने सब के शहीद पुस्तकालय के बारे में बता दी जे की इ शहीद पुस्तकालय पूर्व में बरहा निवासी ओहि समय के मधुबनी के सांसद स्वतंत्रता सेनानी स्व. भोगेन्द्र झा द्वारा निर्माण कराओल गेल रहा । निर्माण के किछु समय बाद पुस्तकालय अतिक्रमित भ गेल जे की कतेक सदी बितला के बाद पिछला सप्ताह एसडीएम राजेश मीणा द्वारा ओहि अतिक्रमित जगह के मुक्त कराओल गेल । अपने सब के इहो बताबैत चली जे के बेनीपट्टी में 2 टा पुस्तकालय अइछ जे की नामे मात्र अईछ क्षेत्र के बहुत लोग अहि बात स अनभिज्ञ छैथ । सरोज पुस्तकालय ,बेहटा हाट आ शहीद पुस्तकालय, उपडाकघर बेनीपट्टी के समीप जे की दुनु पुस्तकालय अखन धरी राजनितिक स्वार्थ सिद्धि के कारण उपेक्षित अइछ ।
क्षेत्र के बिभिन्न राजनितिक दलक प्रतिनिधि सब अपन अपन राजनितिक गोटी सेकबाक लेल ससमय शहीद पुस्तकालय केर जीर्णोधार केर मुद्दा के इस्तेमाल करैत रहला, जे की अखनो धरी जारी अईछ मुदा कुनो ठोस निर्णय नय लेल गेल । आजुक दैनिक जागरण अखबार में जे राजनितिक दलक जनप्रतिनिधि सब के नाम प्रकाशित भेल अईछ ओहि में स सब इ मुद्दा के ल क अपन तुक्ष राजनीतिक करैत आबि रहल छैथ आ बैठक में अपन उपस्थिति दर्ज करबैत छैथ जाही बात के जनता के संज्ञान लेबाक चाही ।
इ राजनितिक द्वेष विद्वेष स दूर एसडीएम राजेश मीणा केर इ सराहनीय निर्णय के BNN टीम स्वागत करैत अइछ ।