बेनीपट्टी (मधुबनी) बिकाश झा : बेनीपट्टी स्थित डॉ.नीलाम्बर चौधरी महाविद्यालय आ सुरसरी चंद्रमुखी महिला महाविद्यालय के संस्थापक व पूर्व विधान पार्षद डॉ. नीलाम्बर चौधरी केर 82म जयंती समारोह धूमधाम स मनाओल गेल।
कार्यक्रम में गण्यमान आ अतिथि वक्ता सब डॉ. चौधरी के शिक्षा आ अन्य क्षेत्र में कायल गेल कार्य केर सराहना केलैथ । नीलाम्बर बाबू द्वारा कायल गेल कार्य आ अपन क्षमता के बल पर कायल गेल सफल राजनीति के कारण ओ निरंतर शिखर पर चमकैत रहला। डॉ. चौधरी जी अपन जीवन में जे सामाजिक कार्य केलैथ ओ कहियो ने बिसरायल जा सकय या । इ उक्त बात बिहार के खान एवं भूतत्व मंत्री राम लखन राम रमण किसान भवन बेनीपट्टी में 3 जनवरी शनि दिन पूर्व विधानपार्षद व शिक्षाविद डा.नीलाम्बर चौधरी जी के 82म जयंती पर आयोजित सम्मान समारोह केर उद्घाटन करैत कहला। ओ कहलैथ जे डा.नीलाम्बर चौधरी महान शिक्षाविद तथा गरीबों के सच्चे हितैषक छलाह। ओ गरीब, शोषित, पीड़ित आ मिथिलांचल के विकास व शिक्षा जगत के समस्या क्र प्रति आवाज उठाबैत रहला।
मंत्री कहलैथ कि डा.चौधरी कतेको महाविद्यालय के स्थापना एवं शिक्षण संस्थान खोइल क शिक्षा के क्षेत्र में जे कार्य केलैथ ओ कार्य उत्कृष्ट अईछ। अहि अवसर पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय दरभंगा के कुलपति डा.साकेत कुशवाहा कहलैथ डा.नीलाम्बर चौधरी अपन जीवन में उर्जा के साथ संघर्ष करैत सब वर्ग के एक साथ जोड़बाक काम केलैथ। शिक्षा जगत के समस्या के निदान के प्रति हुनकर भूमिका बहुत सराहनीय रहल।  कुलपति  कहला जे डा.नीलाम्बर बाबू के द्वारा खोलल गेल डा.नीलाम्बर चौधरी महाविद्यालय आ सुरसरि चंद्रमुखी महाविद्यालय बेनीपट्टी में एक साल के अंदर डिग्री व पीजी के पढाई शुरू क देल जायत।
अहि के लेल दुनु कॉलेज प्रबंधन के तरफ स प्रपोजल भेजबाक निर्देश देल गेला।
अहि अवसर पर हरलाखी के विधायक शालीग्राम यादव ने कहलैथ जे डा.नीलाम्बर चौधरी द्वारा कायल गे कार्य आय समाज के अंदर चर्चा के विषय बनल अईछ । नीलाम्बर बाबू मिथिला के विकास, गरीबों के समस्या, शिक्षा जगत के उत्थान व विकास के लेल सदन के अंदर व बाहर आवाज उठाबैत रहला।
विधान पार्षद डा.दिलीप कुमार चौधरी ने कहलैथ जे हम अपन पिता डा.नीलाम्बर चौधरी केर राजनीतिक प्रेरणा व सरलता के बल पर कार्य क रहल छी। नीलाम्बर बाबू केर सपनों के साकार करबाक व शिक्षा जगत के समस्या एवं मिथिलाचल के विकास गरीबों के कल्याण के लेल हमर संघर्ष आ प्रयास निरंतर जारी रहत।
डा. एनसी कॉलेज के तरफ स चिकित्सा के क्षेत्र में उत्कृष्ट कार्य करय बला प्रख्यात चिकित्सक डा. पी.आर. सुल्तानिया तथा शिक्षा के क्षेत्र में उत्कृष्ट कार्य करय बला एसएस ज्ञान भारती के निदेशक अमरेश मिश्र व पशुपालन के क्षेत्र में उत्कृष्ट कार्य करय बला डा.मोहन झा के मंत्री राम लखण राम रमण,वीसी साकेत कुशवाहा एवं विधायक शालीग्राम यादव, विधानपार्षद डा.दिलीप कुमार चौधरी सम्मानित केलैथ।
जयंती समारोह कार्यक्रम में पूर्व प्रमुख नित्यानंद झा, राज कुमार झा उपप्रमुख अशोक कुमार चौधरी भाजपा नेता घनश्याम ठाकुर, प्राचार्य प्रो.भवानंद झा, प्रो. ब्रम्ह कुमार झा, प्रो.कमलेश्वर ठाकुर, प्रो.महानंद झा, प्रो. राम नारायण झा, डा.इंद्रमोहन झा, डा.पीआर सुल्तानिया, प्रो.मीनू पाठक,प्रो.सुधीर कुमार झा, प्रो.प्रमोद कुमार चौधरी, प्रो.मदन कुमार कर्ण, प्रो.प्रकाश लाभ, अखिलेश झा, प्रो.मुनेश्वर झा, प्रो.शिव कुमार यादव, प्रो.केसी पाठक, प्रो.मुनेश्वर झा, डा.नागेंद्र झा, प्रीतम यादव, बचनू मंडल, ललित कुमार सिंह प्रो.चतुर्भुज झा, राम विनय प्रधान, बैद्यनाथ झा, मिथिलेश मिश्र, राम बाबू राम,रंजीत रंजन, आनंद झा  सहित कतेको लोग विचार प्रकट केलैथ। छात्र में गुलसन झा,राहुल झा, बिकाश झा, अमित मिश्रा, व अन्य छात्र बढ़ चढ़ी हिस्सा लेलैथ ! 
कार्यक्रम में डा.नीलाम्बर चौधरी महाविद्यालय के छात्रा सब गीत, नाटक, नृत्य, स्वागत गान प्रस्तुत केलैथ । कॉलेज के छात्रा-अंजली कुमारी,शुभम कुमारी, खुशबू कुमारी अंजली प्रिया,विभा कुमारी,नेहा पूजा,मेनका कुमारी नृत्य, आ गीत प्रस्तुत क लोगो सब के  मंत्रमुग्ध क देलैथ ।


आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here




Previous Post Next Post