नई दिल्ली । बिकाश झा : प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा घोषणा कैल गेल 100 गोट स्मार्ट सिटी मे सं बिहारक कोटा मे पांचटा शहर आयल अछि। बिहारक जाहि पांच गोट शहर कें पीएमओ आ वित्त मंत्रालय द्वारा चिन्हित कैल गेल ओकर नाम पटना, गया, बिहार सरीफ़, भागलपुर आओर मुज़फ़्फ़रपुर अछि। हालांकि जौं मिथिलाक नजैर सं देखि त दू टा शहर भागलपुर आओर मुज़फ़्फ़रपुर मिथिला क्षेत्र मे आवैत अछि। बिहारक जाहि पांच गोट शहर कें केंद्र सरकार चिन्हित कैल गेल अछि ओकर राजनीतिक, भौगोलिक आओर सांस्कृतिक स्तर पर बहुत बेसी महत्व छैक।
पटनाः वर्तमान मे बिहारक राजधानी आ आ पूर्व मे एक रनाम पाटलिपुत्र छल। पटना दुनियाक ओहि गिनन-चुनल शहर मे सं एक अछि जे प्रचीन काल सं एखन धरि आबाद अहि आ एकर यशक चर्चा देशे टा मे नहि अपितु संपूर्ण दुनिया मे भय रहल छैक राजनीतिक, भौगोलिक आ सांस्कृतिक दृष्टी सं पटनाक विशेष महत्व छैक। गंगाक किचहैर मे बस पटना शहरक आसपास प्राचीन भग्नावशेष/खंडहर नगरक ऐतिहासिकता कें प्रामाणिकता कें दर्शावैत अछि। सिखक दस आ अंतिम धर्म गुरू गुरू गोविंद सिंहक जन्म सेहो अहि धरती पर भेल छलन्हि। कालांतर मे पटना राजनीतिक रूप सं महत्वपूर्ण हेवाक संग-संग चिकित्सा आ शिक्षा स्थलक रूप मे महत्वपूर्ण अछि।
गयाः फल्गु नदीक किचहैर मे बसल गया शहरक आदि काल सं अपन एकटा अलग स्थान रहलैक अछि। गया बिहारक दोसर सब सं पैघ शहर मे सं एक मानल जाइत अछि आ उत्तर प्रदेश कें बनारस शहर जेना इहो बिहारक धार्मिक शहरक रूप मे प्रसिद्ध अछि। पितृपक्षक समय अहि ठामक रूप देखय बला होइत अछि। गया हिंदू आ बौध धर्मावलंविक लेल बहुत बेसी महत्व राखैत अछि, विष्णुपद मंदिर हिन्दू आ बोध गया बौध लोकनिक आस्थाक केंद्र बिंदु अछि।
बिहार शरीफः बिहारक नालंदा जिलाक एकटा शहर बिहार शरीफ 10म शताब्दी मे पाल वंशक राजधानी रहल छल। अहि ठाम पांचम शताब्दीक गुप्तकालक एकटा स्तंभ अछि आ बहुतरास मस्जिद आ मक़बरा मौजूद अछि। बिहार शरीफ अहि बात कें लय आओर बेसी प्रसिद्ध अछि कि अहि ठाम भगवान बुद्ध उपदेश देने रहथि।
भागलपुरः बिहार राजधानी पटना जेना भागलपुर सेहो गंगाक तट पर बसल अछि। भागलपुर मिथिलाक सब सं समृद्ध शहरक रूप मे देखल जाइत अछि जाहि ठाम शहर आ गामक बहुत सुंदर मिश्रण लोक कें देखवा मे आवैत छन्हि। भागलपुरक चर्चा आदिकाल सं पुरान आ महाभारत मे कैल जााइत रहल अछि। महाभारत मे भागलपुर कें अंग प्रदेश मानल गेल छल आ अहि सं निकट अवस्थित चम्पानगर महान शूरवीर आ पराक्रमी कर्णक राजधानी सेहो छलनि। भागलपुर मे मंदार पर्वत आ बसुकीनाग सेहो छथि जाहि ठाम देवासुर संग्रामक समुद्र मंथन भेल छल। कालांतर मे भागलपुर कें शिल्क सिटीक रूप मे संपूर्ण दुनिया मे जानल जाइत अछि।
मुज़फ़्फ़रपुरः वर्तमान मे बिहारक सब सं पैघ शहर मे सं एक मानल जाइत अछि। संगहि पृथक मिथिला राज्यक लेल चलाओल जा रहल आंदोलन जौं मूर्त रूप लैत छि त मुज़फ़्फ़रपुर मिथिलाक राजधानी सेहो बनि सकैत अछि। तिरहुत प्रमंडलक अंतर्गत आवैवला ई जि़ला मुख्य रूप सं सूती वस्त्र, लीची आओर आमक उत्पादन लेल संपूर्ण विश्व मे अपन एकटा अलग पहिचान स्थापित कय चुकल अछि। आब ई दिलचस्प हैत कि प्रधानमंत्री द्वारा बनाओल जाय वला स्मार्ट सिटीक प्रारूप कोन तरहक होइत अछि आ कोन रूप सं अहि शहरक संरचनाक निर्माण कैल जायत। मुदा जाहि तरहें प्रधानमंत्री हर राज्य सं किछु शहर कें चिन्हित करवाक विचार कैलनि अछि ओ निश्चित रूपहि प्रशंसनीय अछि।


आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here



Previous Post Next Post