बेनीपट्टी (मधुबनी) बिकाश झा : गम्हरिया इ स्थान मधुबनी जिला के  बेनीपट्टी प्रखंड मुख्यालय स 6 किलोमीटर उत्तर में अछि। जाही ठाम मधुबनी जिला के पहिल सरस्वती जी के मूर्ति मिट्टी खुदाई काल में उखरल। जाही के बाद ग्रामीण सब द्वारा मूर्ति के प्राण प्रतिष्ठा कायल गेल। अहि ठाम हरेक साल धूम धाम सा सरस्वती पूजा मनाओल जायत अछि।
पौराणिक कथा के अनुसार गाम में  कुनो यज्ञ में एगो ऋषि मुनि आयल रहैथ ओहि क्रम में गावं के कुनो दम्पति के संतान सुख के प्राप्ति नय भेल रहैन ।ओ ऋषि मुनि के समक्ष अपन दुःख प्रकट केलाह जाही के प्रतिउत्तर सह आशीर्वाद में ओ दम्पति के कहल गेले जे गाम के कुनो ठाम सरस्वती जी के मूर्ति माईट तर में गरल अछि ओहि मूर्ति के जाबैत तक विधि विधान के साथ प्राण प्रतिष्ठा नय कायल जायत ताबैत तक अहां के पुत्र के प्राप्ति ने होयत ।तत्पश्चात किछु समय बितला के बाद खुदाई के क्रम में सरस्वती जी के प्रतिमा मिलल  जकर गाम के उत्तर दिशा में प्राण प्रतिष्ठा कायल गेल । ओहि के बाद ऋषि मुनि के आशीर्वाद प्राप्त केने दम्पति के पुत्र प्राप्ति भेलैन । बर्ष 2011 में पुनः सरस्वती जी के मंदिर  के स्थानांतरित क नव निर्मित मंदिर में स्थापित कायल गेल । जे की अति शोभनीय लागैत अछि ।


आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here



Previous Post Next Post