बेनीपट्टी (मधुबनी) बिकाश झा : मिथिलाक गणमान्य व्यक्तित्व आ पटना उच्च न्यायालयक महाधिवक्ता ताराकांत झा रविदिन दुपहरिया में अपन धर्मपत्नी सहित एक गोट पुत्र आ पुत्री छोड़ि 87 बरखक अवस्था में दुनिया सं विदा भय गेला। झाक जन्म मधुबनी जिलाक, बेनीपट्टी शिवनगर गांव में सन 1927 में भेल छलनि। झा 1956 सं लय जीवनपर्यंत कानूनक पेशा में सक्रिय रहलथि। ओ बिहार बार कांउसिल आॅफ इंडियाक सदस्यक रूपमें 6 साल धरि रहला, बिहार बार कांउसिलक सदस्य के रूप 22 बरख तक सक्रिय रहला, एक्जूकेटिव कांउसिल आॅफ नेशनल स्कूल आॅफ लाॅ, बेंगलोर कें सदस्यक रूप सेवा दैत रहला। बिहार जनसंघक संस्थापक सदस्य सेहो छलथि। मिथिलाक विकास आ ओकर उचित अधिकार कें वास्ते सदिखन अपन आवाज़ बुलंद करैत रहला। मैथिलीक आठम अनुसूची में शामिल करेबाक लेल 27 लाख मैथिल कें हस्ताक्षरक प्रति ओहि समयक भारतक राष्ट्रपति सोझा सौंपल गेल छल ओहिमें हिनका द्वारा कायल गेल प्रयास कें मिथिलावासी कहियो नहि बिसरि सकैत अछि। भारतीय जनता पार्टी झा कें बुद्धि आकार्यशैलीक देखैत हुनका बेर-बेर पार्टीक सम्मानीय पद दय सेवाक करवाक मैका दैत रहलनि। झा बिहार बीजेपीक प्रदेश अध्यक्ष, दरिभंगा लोकसभा क्षेत्रक प्रत्याशीक रूपमें आ बाद में बिहार विधान परिषदक सभापति बनाओल गेल छलथि। आई बिहारक रातनीतिक संग-संग, न्याायिक सफल व्यक्तित्वक अंत भय गेल। मिथिला कें एहि सपूतक निधन सं अभूतपूर्व क्षति भेल अछि। BNN टीमक हिनक निधन पर शोक व्यक्त करैत श्रद्धांजलि अर्पित कय रहल अछि।