राज नगर नौलखा महल

राज नगर नौलखा महल,मधुबनी
राजनगर के राजपरिसर के दरभंगा महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह के छोट भाई महाराज रामेश्वर सिंह बनवेने छलाह ! मिथिलाक संस्कृति में माछ आ हाथी के बहुत महत्व अछि ! अहि राज परिसर में जहां माछक निशान देख सकैय छी , ओतहि हाथी, जेकरा राजसी शान के पहचान मानल गेल अछि ; हाथी महल के रूप में विद्यमान अछि ! महल के दरवाजा पर दू टा हाथीके विशाल प्रतिमा बनल अछि !बच्चा में जखन हम महल घूमय गेल रही, त नौलखा महल हॉल के छत पर बनल महिला के पेंटिंग देखि बहुत हैरान भ जाइ , कियाक त कोनो कोना स देखला पर हमरे दिस देखैत छलैथ! एकर भव्यता के चर्चा दूर दूर तक होएत छल ! महल, मंदिरक दीवार पर कएल गेल नक्काश, कलाकारी ,कलाकृति अद्भुत अछि !दीवार पर मिथिला पेंटिंग के अलावा देशी विदेशी दुनू शैलीके समागम देखय जा सकैत अछि !महाराज के तंत्र मंत्र स विशेष लगावक कारणे , परिसर में ग्यारह टा मंदिर बनवयल गेल आ एकरा में तंत्र मंत्र केसाथ अध्यात्म आओर वैदिक कला के समागम कायल गेल ! कहल जाइत छैक कि एकरा बनवाबय लेल महाराज फ्रांस स ऑर्किटेक्ट मंगवौने छलाह !परिसर में चारू कात मंदिर बनल अछि !मधुबनी स करीब १५ किलोमीटर दूर राज परिसरक महल के महाराज रामेश्वर सिंह अपने लेल बनौने छलाह ,मुदा महाराज लक्ष्मीश्वर सिंह के मृत्युक पश्चात दरभंगा चलि गेलाह ! हुनका दरभंगा गेलाह के बाद एकर उचित देखरेख नहिं भेल.आ दू टा भूकम्प झेलला के बाद , धीरे धीरे ई खंडहर में बदलैत चलि गेल !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here