मनोकामना मंदिर , दरभंगा

मनोकामना मंदिर , दरभंगा 

दरभंगा राज परिसर में , श्यामा माई मंदिर सअ कनिक दूर "मनोकामना मंदिर "अछि !अहि मंदिर में जायवाला भक्त कलम ,पेंसिल ल गेनाइ नहि बिसरैत छैथ ! मान्यता छै , कि अहि मंदिर में पूजा केलाक बाद , मंदिर के दीवार पर अप्पन मनोकामना लिख देला सअ , ओ पूरा भ जाइत अछि !अहि स एकर नाम "मनोकामना मंदिर " पड़ल ! अहि मंदिर के निर्माण ज़मीन स सात फ़ीट के ऊंचाई पर बनल चबूतरा पर कायल गेल अछि !उज्जर संगमरमर स बनल अहि हनुमान जी के प्रतिमा वाला मंदिर के ऊंचाई कम भेलाक कारण , बैस कय पूजा कायल जाइत अछि ! मंदिर के आगू आ पाछू दुनू दीस पोखईर छैक !कहल जाइत छैक कि, महाराज रामेश्वर सिंह अपन कोनो छोट कद के रिश्तेदार के लेल इ मंदिर बनवेने छलाह !
ओना अहि मंदिर स जुड़ल मान्यता के हम आदर करैत छी, छात्र जीवन में लगभग प्रतिदिन मंदिर जाइत रही , मुदा, अहि सुन्दर मंदिर के दीवार के गन्दा केनाइ ,हमरा कहियो पसंद नहि पड़ल !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here