नागपंचमी और मधुश्रावणी पूजाक प्रारम्भ

नागपंचमी और मधुश्रावणी पूजाक प्रारम्भ 
============================
समस्त मिथिलावासी के सपरिवार "नागपंचमी " के हार्दिक शुभकामना ! नागपंचमी के दिन सअ मधुश्रावणी पूजा के प्रारम्भ सेहो भ जाइत अछि ! मधुश्रावणीक पूजा विवाहक पहिल सावन केर नागपंचमी के दिन शुरू होयत अछि , आओर तेरह दिन तक लगातार पूजा होयत अछि! अहि में तेरहों दिन नव-नव कथा सुनायल जायत अछि !
मिथिला मे नवकनिया सभ अपन पतिक दीर्घायु लेल ई पावनि करैत छथीह! ई पावनि नैहर में मनायल जाइत अछि !एहि में गृहस्थ जीवन मे प्रवेशक कथा-कहानी होएत अछि !
नैहर आयल नवविवाहिता सभ फूल लोढ़वाक लेल निकलैत छथिन्ह ! नवविवाहिता सभ हाथ में डाला लेने मंदिर जाए छथिन्ह! मधुश्रावणी मे ओना भोर मे पूजा…बेरिया मे कथा ओर सांझ मे फूल लोढ़य के परम्परा अछि ! भोरक पूजा बसिआ फूल सं होएत अछि , जेकरा कि सांझ मे लोढने रहय छथिन्ह!
असल में सावन मे बरसातक मौसम मे सांप-ढ़ोरि खूब निकलैत अछि… आओर ओकरा सअ पति के बचावय लेल…आ पति के दीर्घायु होबय के कामना के लेल, विषहरी के पूजा कएल जाइत अछि… !मिथिला केर हर पावनि त्यौहार लोक जीवन स जुड़ल अछि, आओर ओकरा स जुड़ल अई लोक कथा !
नागपंचमी क मौका पर समस्तीपुर मे पिछला 300 साल स मेला लगैत अछि , जाहि में देश -विदेश स लोग आबैत छैथ ! समस्तीपुर क विभूतिपुर प्रखंड क सिंघिया आ रोसड़ा गाम मे गंडक नदी मे डुबकी लगा कए सांप निकालल जाइत अछि और ओकर पूजा कैल जाइत अछि !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here