दीयाबाती (दिवाली) आ काली पूजा

दीयाबाती (दिवाली) आ काली पूजा
=======================
समस्त मिथिलावासी के दीयाबाती (दिवाली) आ काली पूजा के हार्दिक शुभकामना !श्री महालक्ष्मी पूजन व दीपावली के महापर्व कार्तिक कृ्ष्ण पक्ष के अमावस्या के मनायल जाइत अछि ! मिथिला मे दीयाबातीक (दिवाली) के विशेष स्थान अछि ! मैथिली (सिया) श्रीरामक संग चौदह बरखक बनवासक उपरांत अयोध्या वापस आयल छलीह, घर घर दीप जरा कअ अन्हार पर इजोरियाक विजय के उत्सव मनायल गेल छल ! संध्याकाल में सुख-समृद्धि के लेल लक्ष्मी केर आराधना कायल जाइत अछि ! संगहि राति मे कालीपूजा सअ मिथिला केर माहौल श्रद्धा सिक्त रहैत अछि! घर-आँगन केर साफ़-सफ़ाइ केर पश्चात गोबर सं नीपल जाइत अछि!अहि दिन भगवती घर मे गोसाओन लग अरिपन देल जाइत अछि! कहल जाइत अछि जे आजुक दिन भगवती बहराइ छथि, फेर देवोत्थानक एकादशी दिन घरवास करैत छथि! गाम घर में हुक्का-लोली सेहो जरबय के प्रथा अछि ! मिथिला में मैथिल दीयाबती केर संगहि लक्ष्मी-गणेश ओ तखन काली पूजन करैत छथि ! काली मंदिर में विशेष पूजन के व्यवस्था रहैत अछि आ ओहुना अनेकानेक काली पूजनोत्सव के आयोजन गली -मोहल्ला , गाम -घर में कायल जाइत अछि !
हमर आग्रह अपने सब सअ:::सफाई के विशेष ध्यान राखल जाय !अहि पारम्परिक त्यौहार के परंपरा के पालन कायल जाय ! परंपरा में "फटक्का" के स्थान नहि छैक, अहि सअ दूर रहि कअ पर्यावरण आ समाज के कल्याण में अप्पन सहयोग दी !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here