बलिराज गढ़

बलिराज गढ़, मधुबनी 
मिथिला के गौरवपूर्ण इतिहास के प्रमाण "बलिराज गढ़", मधुबनी सअ 34 किलोमीटर दूर, लौकहा सड़क स्थित अछि !भारतीय पुरातत्व सर्वेक्षण के अधीन इ प्रचीन किला, एक टा भग्नावशेष अछि, जे करीब 365 बीघा में फईलल अछि ! पहिल बेर अहि ठाम खुदाई 1976 में भेल ! अकर उत्तर में खोजपुर, दक्षिण में बगौल, पूरब में फुलबरिया और पश्चिम में रमणीपट्टी गांव अछि । किला के दीवार अतेक मोट अछि,कि रथ आराम सअ गुजरि सके !अहि ठाम खुदाई में मौर्यकालीन सिक्का , मृदभांड और बहुत सामान निकलल अछि , लेकिन पूरा खुदाई नई भेलाक कारण ,अहि में इतिहास के वहुमूल्य खजाना और ऐतिहासिक धरोहर छुपल अछि । किला में एक टा पोखैर आ एक टा इनार सेहो अछि ,जाहि में सुरंग बनल अछि ! एक टा धारणा इहो अछि ,कि बलिराज गढ़ मिथिला के राजधानी रहल हायत , कियाक तअ जनकपुर के अधिकतर ईमारत नया अछि ! अकर आस पास के गाम के नाम सेहो ऐतिहासिक अछि ,जाहि सअ अहि बात के बल भेटैत अछि !किछ लोक अकरा राक्षस राज बाली के किला बुझैत छैथ , तअ किछ लोक मानैत छैथ ,कि पांडव अप्पन अज्ञातवास में किछु समय अहु ठाम रहल छलैथ !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here