बेनीपट्टी (मधुबनी) बिकाश झा : 2014 लोकसभा चुनाव के पश्चात भेल मतगणना में मिथिलांचल के तीनों सीट पर बीजेपी उम्मीदवार के दबदबा रहल । बिहार के प्रमुख क्षेत्रीय पार्टी जदयू आ राजद अपन साख तक बचाबा में नाकाम रहला । कांग्रेस सा गठबंधन भेला के बाद मिथिलांचल के तीनो सीट मधुबनी झंझारपुर आ दरभंगा राजद के पक्ष में आयल छल ।जदयू भाकपा गठबंधन के बाद आ देवेंद्र यादव अपन पार्टी के विलय क बाद जदयू तीनों सीट पर अपन उमीदवार उतारने छल ।

बीजेपी आ लोजपा गठबंधन के बाद इ तीनो सीट बीजेपी के पक्ष में आयल छल ।

जाही में पिछला बेर मधुबनी स बीजेपी के खिलाफ मात्र 10000 लगभग वोट स पराजित भेल अब्दुल बारी सिद्दकी अहि बेर मधुबनी में कांग्रेस सा गठबंधन के वाबजूद 337505 वोट प्राप्त केलैथ । जदयू के प्रोफ़ेसर गुलाम गॉस के जनता ज्यादा तवज्जो ने देलक हुनका 26392 वोट मिलल ।अता प्रमुख टक्कर में बीजेपी आ राजद में छल जाही में बीजेपी के हुकुमदेव नारायण यादव 358040 वोट प्राप्त क जीत दर्ज कैलैथ ।

 झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र के अधिकतम उमीदवार दल बदलू छलाह जाही में जदयू स बगावत क राजद के दामन थामा वला निः वर्तमान सांसद मंगनी लाल मंडल आ देवेन्द्र प्रसाद यादव जे पूर्व में राजद सा बगावत का अपन पार्टी बनने छलाह देवेन्द्र यादव अपन पार्टी के जदयू में विलय का चुनावी मैदान में छलाह ।
अहि सीट पर जानकर सब के मानी ता त्रिकोणीय मुकाबला देखा के मिलबाक आसार छल जे कतौ ने देखाय देलक ।
अहि सीट पर राजद के  मंगनी लाल मंडल के 280073 वोट आ जदयू के देवेंद्र यादव के 183591 वोट मिलल । अही सीट पर बीजेपी के बिरेन्द्र कुमार चौधरी 335481 वोट प्राप्त क बिजय प्राप्त कैलैथ ।

दरभंगा लोकसभा क्षेत्र सा बीजेपी के निः वर्तमान  सांसद कीर्ति आज़ाद के मुकाबला राजद के अली अशरफ फातमी आ जदयू के संजय झा स छल । जाही में बीजेपी के कीर्ति आजाद जीत प्राप्त कैलैथ । कीर्ति आज़ाद के 314949 वोट जदयू के संजय झा 104494 वोट आ राजद के  अली अशरफ फातमी के 279906 वोट मिलल ।

आब देखा वला बात इ रही गेल जे के मिथिला के तीनो सीट पर कब्ज़ा के बाद बीजेपी द्वारा मिथिला के लेल कायल गेल विशेष बात सब पर अमल करैत छैथ की नय ।


आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here




Previous Post Next Post