सामा चकेबा

सामा चकेबा 
=========
"डाला ले बाहर भइली, बहिनी से .......बहिनी 
बहिनो से ......... बहिनी
चकवा भैया लेल डाला छीन, सुन गे राम सजनी"
मिथिला में इ गीत घरे... घरे ..सुनबा में आबैत अछि , सामा -चकेबा के पावनि में !
मिथिलाक महान लोक संस्कृति सअ, जुड़ल भाई -बहिन के अटूट प्रेम के पावनि "सामा चकेबा " मात्र मिथिला में मनायल जाइत अछि !एकर जिक्र विष्णु पुराण में सेहो भेटैत अछि ! कहल जाइत छैक कि भगवान श्रीकृष्णजी के बेटी श्यामा ( सामा) के जंगल में खेलय के शौक छलन्हि ! प्रकृति प्रेमी श्यामा पेड़ -पौधा, चिरई -चुनमुन ,फूल- पत्ती,पशु-पक्षी संग खेलबाक लेल जंगल में चलि जायत छलीह ! इ बात "चुगिला" के नहि पसंद छल , ओ भगवान लग चुगलखोरी केलक आ अंट -शंट बात सअ भगवान के कान भरि देलक ! भगवान क्रोधी भय शाप दअ कअ श्यामा के चिरई बना देलखिन्ह !बहुत समय पश्चात जखन भगवान श्रीकृष्ण के पुत्र (सतभइया) के बहिन के बारे पता चलल, तअ बहिन के वापस लाबय लेल भगवान के जिद कअ बहुत कठिन परिश्रम कअ भगवान के मना लेलैथ !भगवान कहलाह कि कार्तिक मास के अहांक बहिन एतीह आओर पूर्णिमा के विदा भय जेतीह! तहिया सअ इ पर्व मनायल जाइत अछि ! अहि में सामा चकेवा,सतभइया,बृंदावन, चुगला, ढोलिया बजनिया,बन तितिर ,पंडित आओर दोसर मूर्ति खिलौना के डाला लय कअ बहिन जोतल खेत में खेलैत छैथ ! सन स बनल चुगला के जरायल जाइत अछि,ओकर मुंह झरकायल जाइत अछि ! भाई- बहिनक स्नेहक ई पावनि छैठ के खड़ना दिन शुरू होइत अछि, आ पूर्णिमा के दिन विदा कय विसर्जन करा देल जाइत अछि !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here