पुनौरा धाम, सीतामढी ( जानकी जन्म स्थल )

पुनौरा धाम, सीतामढी ( जानकी जन्म स्थल )

मिथिला में सीतामढ़ी स पांच किलोमीटर दक्षिण-पश्चिम मे पुनौरा नामक स्थान पर जगत जननी सीता क जन्म भेल अछि। अहि ठाम रामजानकी क भव्य मंदिर अछि, जानकी कुण्ड के नाम स प्रसिद्द अछि । बाल्मीकि के अनुसार सीतामढ़ी मिथिलाक राजा सीरध्वज ( राजा जनक ) के राज्य के हिस्सा छल। हुनकर राज काल मे मिथिला मे भयंकर सूखा पड़ल। तखन इ भविष्यवाणी भेल जे राज्य क पालनहार जनक यदि स्वयं हल चला खेत मे सीतक (हल स बनल कियारी) निर्माण करथि त बरखा संभव होएत।सीतामढी क पुनौरा मे जखने हल खेत मे जोतल गेल, धरती मे गड़ल एकटा घड़ा निकलल। ओहि मे सअ लक्ष्मी अवतरित भेलीह। जखने जनक हुनका गोद लेलथि, झमाझम बरखा शुरू भ गेल। जगत जननी कए बचेबा लेल जनक एक टा मड़ई (झोपड़ी) मे चलि गेलाह। सीतक स प्रकट भेलाक कारण, जगत जननी क नाम सीता राखल गेल। जे बाद मे वैदेही, जानकी आ मैथिली नाम स सेहो विख्यात भेलीह। ओ मड़ई एखनो सीतामड़ई क नाम स अवस्थित अछि। कहल जाइत अछि, जे सीतामड़ई कालान्तर मे अपभ्रंश भ सीतामढ़ी भ गेल।

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here