जितिया (जिमूतवाहन व्रत )

जितिया (जिमूतवाहन व्रत )
==================
"जितिया पावनि बड़ भारी…धिआ पुता के ठोकि सुतएलौं , अपने खएलौं भरि थारी" ! मिथिला में महिला सब के सब सअ लोकप्रिय "जितिया पाबनि " के इ कहावत बहुत लोकप्रिय अछि ! एक टा माय के अप्पन बच्चा के दीर्घायु होबय के लेल कायल गेल इ पाबनि बहुत कठिनाई भरल होइत अछि ! निराहार आओर निर्जला केर संग उपवास आओर 36 घंटा बाद भोरे- भोर पारण , अहि कारण मिथिला मे एहि पावनि के सभ सअ भारी पावनि कहल जाएत अछि !
व्रत आशिन कृष्ण पक्ष अष्टमी कऽ हो‌इत अछि । मरुआ रोटी ओ माछ खयबाक प्रथा अछि ! व्रत केनिहारि सप्तमी दिन नदी-तालाब में नहा कअ अरबा-अरबा‌ईन खा‌ई छथि। अष्टमी दिन निराहार आ निर्जला रहिकअ ई व्रत हो‌ईत अछि । व्रत केनिहारि नहेलाक बाद झिमनिक पात पर ख‌ईर आ सरिसो के तेल जितवाहन के चढ़वैत छथि । खीरा, केरा, अँकुरी, अक्षत, पान-सुपारी, मखान, मधूर लऽ कऽ नवेद दैत छथि आ धूप-दीप जरबैत छथि !नवमी दिन फ़ेर ओही तरहें पूजा पाठ कऽ कऽ खीरा, अंकुरी, अक्षत, पान-सुपारी नवेद दऽ धूप=दीप जराकऽ विसरजन करैत छैथ ! जीतिया पावनि मनाबय के पाछा कथा छई, जे एकटा राक्षस एकटा गाम में आतंक मचौने छल जकरा सअ श्रीकृष्ण जी जीमूत वाहन के रूप में अवतार लय रक्षा केलाह !

मिथिला दर्शन  |  अप्पन मिथिला  |  अप्पन बेनीपट्टी  |  मिथिला बिभूति  |  मिथिलाक पाबैन  |  मैथिलि गीत नाद   |  मैथिलि फकरा  |  मिथिला पंचांग  |   सोशल साइट्स टिप्स ट्रिक्स  |  फोटो गैलरी  |  विधानसभा चुनाव 2015  |  देश प्रदेश   |  क्षेत्रीय समाचार  |  स्थानीय समस्या  |   क्राइम रिपोर्ट  |  प्रशासन    शिक्षा रोजगार  |  विधि खबर  |   BNN विशेष  |  खास मुलाकात   | संपादकीय  |  खबर का असर  |  घटना-दुर्घटना  ।  BNN टीम 




आप भी अपने गांव की समस्या घटना से जुड़ी खबरें हमें 8677954500 पर भेज सकते हैं... BNN न्यूज़ के व्हाट्स एप्प ग्रुप Join करें - Click Here