⦁ गावं के नाम :- गम्हरिया
कुल घरवासी :-
⦁ कुल जनसँख्या :-
महिला जनसँख्या :-
पुरुष जनसँख्या :-
⦁ कुल साक्षरता प्रतिशतता :-
पुरुष साक्षरता प्रतिशतता :-
महिला साक्षरता प्रतिशतता :-
⦁ पंचायत के नाम :-
मुखिया के नाम :-
सरपंच के नाम :-
पंचायत समिति सदस्य के नाम :-
जिला पार्षद :-
⦁ पैक्स अध्यक्ष के नाम :-
* गम्हरिया गाम बेनीपट्टी प्रखंड मुख्यालय स 5 किलोमीटर दुरी परअईछ ।
गाम के बारे में...
गम्हरिया इ स्थान मधुबनी जिला के बेनीपट्टी प्रखंड मुख्यालय स 6 किलोमीटर उत्तर में अछि । जाही ठाम मधुबनी जिला के पहिल सरस्वती जी के मूर्ति मिट्टी खुदाई काल में उखरल । जाही के बाद ग्रामीण सब द्वारा मूर्ति के प्राण प्रतिष्ठा कायल गेल । अहि ठाम हरेक साल धूम धाम सा सरस्वती पूजा मनाओल जायत अछि ।
पौराणिक कथा के अनुसार गाम में कुनो यज्ञ में एगो ऋषि मुनि आयल रहैथ ओहि क्रम में गावं के कुनो दम्पति के संतान सुख के प्राप्ति नय भेल रहैन ।ओ ऋषि मुनि के समक्ष अपन दुःख प्रकट केलाह जाही के प्रतिउत्तर सह आशीर्वाद में ओ दम्पति के कहल गेले जे गाम के कुनो ठाम सरस्वती जी के मूर्ति माईट तर में गरल अछि ओहि मूर्ति के जाबैत तक विधि विधान के साथ प्राण प्रतिष्ठा नय कायल जायत ताबैत तक अहां के पुत्र के प्राप्ति ने होयत ।तत्पश्चात किछु समय बितला के बाद खुदाई के क्रम में सरस्वती जी के प्रतिमा मिलल जकर गाम के उत्तर दिशा में प्राण प्रतिष्ठा कायल गेल ।
ओहि के बाद ऋषि मुनि के आशीर्वाद प्राप्त केने दम्पति के पुत्र प्राप्ति भेलैन ।
बर्ष 2011 में पुनः सरस्वती जी के मंदिर के स्थानांतरित क नव निर्मित मंदिर में स्थापित कायल गेल । जे की अति शोभनीय लागैत अछि ।
* ज्यों कियो गोटा अहि गाम के बारे में इ पोस्ट में किछु विशेष जोड़बाबय चाहय छी त अपनेक BNN टीम स्वागत करैत अईछ ! अपन गाम के बारे में हमरा बताऊ, अपन गाम के मंदिर, स्कुल आ अन्य कुनो पाबैन तिहार के फोटो हमर देल गेल संपर्क सूत्र या निचा में देल गेल कांटेक्ट फॉर्म के माध्यम स भेजु !हमर ईमेल आईडी अईछ mybenipatti@gmail.com
हमर व्हाट्स एप्प नंबर अईछ : 08677954500
